मंगलवार, 31 जुलाई 2012

गजल


भेलै मुड़न जेठका के
सब संग मे छोटका के

छै केश जनमे बला ते
छीलल बहिन मेनका के

नानी पठेलखिन कपड़ा
काजर सजल टोटका के

बाजा बला पाइ माँगै
हजमा कहै मोटका के

छै भोज मे पाँति लागल
पत्ता भरल पतरका के

मुस्तफइलुन-फाइलातुन
2212-2122
बहरे-मुजास

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों