रविवार, 22 जुलाई 2012

गजल

भेल मामा के शगुन हमरो करा दे
सेँट काजर आ पाग पौडर लगा दे

लूटबेँ लेमनचूष आ गीत गाबेँ
सर्ट नवका दे जीँस नवके अना दे

चल फिलम हमरो कैमरा मे बना दे
आब बाबी काकी कने माँ चुमा दे

बंद घर मे नाना कहू की करै छी
कत'सँ एलौ नानी इ टाका बता दे

हम त' बुझलौँ छै खेल कोनो इ नवका
आब नै मानब "अमित" गाड़ी सजा दे

फाइलातुन-मुस्तफइलुन-फाइलातुन
2122-2212-2122
बहरे--खफीफ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों