गुरुवार, 26 जुलाई 2012

गजल


नेन्ना हम मए केँ आँखि जूराएब
मिथिला केँ अपन सोना सँ चमकाएब

मूरत सभ घरे रामे सिया केँ देखु
एहन आँन कतए मेल देखाएब

गंगा बसति पावन घर घरे मिथिलाक
डुबकी मारि कमला घाट नाहाएब

मुठ्ठी भरि बिया भागक अपन हम रोपि
अपने माटि में हँसि हँसि कँ गौराएब

'मनु' दै सपत घर घुरि आउ काका बाबु
नेन्ना केँ कखन तक कोँढ ठोराएब

(बहरे रजज, २२२१)
जगदानन्द झा 'मनु'  संख्या -६५

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों