मंगलवार, 31 जुलाई 2012

गजल


पूब मे उगल ललका थारी त' देखू
दूइभक घर चमा चम मोती त' देखू

भोर भेलै कते बौआ कान' लागल
सब चिड़ैयाँक नव किलकारी त' देखू

आइ इस्कूल नै जेतै सोचि लेलक
भेल मारिक डरे बेमारी त' देखू

ठाढ़ कखनसँ गरम दूधक लेल बौआ
रातिमे पीबि गेलै पारी त' देखू

आइ जेतै वियाहक एलै निमँत्रण
लाल आ पियर माँ के साड़ी त' देखू

जन्मदिन "अमित" बौआ के आइ हेतै
नरम पूरी गरम तरकारी त' देखू

फाइलातुन-मफाईलुन-फाइलातुन
2122-1222-2122
बहरे- असम

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों