शुक्रवार, 2 मार्च 2012

गजल

गजल / कुन्दन कुमार कर्ण
-----------------------------------------------------


सपना त बहुत देखलौं मुदा एको नहि भेल पुरा ।
जीनगीमें पहिल बेर त प्रेम केलौं सेहो रहिगेल अधुरा ।।

नोरसँ भिजल चेहरापर पहिलबेर मुस्कान आयल ।
फुल बुझिक छातीसँ लगलौं सेहो बनिगेल छुरा
जीनगीमें पहिल बेर त प्रेम केलौं सेहो रहिगेल अधुरा ।।

पतझड भेल जीनगीमें मौसम जेना बहार आयल ।
मित बुझिक प्रीत लगेलौं तखनो रहलौं बेसहारा
जीनगीमें पहिल बेर त प्रेम केलौं सेहो रहिगेल अधुरा ।।

सरगम बनिक केयो पहिल बेर दिलमें समायल ।
गजल बुझिक गाब चाहलौं सेहो बनिगेल जोगिरा
जीनगीमें पहिल बेरत प्रेम केलौं सेहो रहिगेल अधुरा ।।

सपना त बहुत देखलौं मुदा एको नहि भेल पुरा ।
जीनगीमें पहिल बेरत प्रेम केलौं सेहो रहिगेल अधुरा ।।
------------------------------------------------------
रचित तिथि - नोभेम्बर २०१०
पहिलबेर प्रकाशित - जनवरी १०, २०१२ (फेसबुक)
© लेखक

1 टिप्पणी:

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों