बुधवार, 21 मार्च 2012

अपने एना अपने मूँह-6

हमरा इ कहैत बहुत हर्ख भए रहल अछि जे अनचिन्हार आखर द्वारा मात्र गजलक बढ़ोत्तरी नै कएल गेल बल्कि गजलकारक संख्यामे सेहो बढ़ेबामे अपन योगदान केलक। एहिठाम हम एकटा संक्षिप्त रुपरेखा प्रस्तुत कए रहल छी जे कतेक गोटा एहि चारि सालमे मैथिली गजलमे एलाह---------------

बर्ख 2010मे त्रिपुरारी कुमार शर्मा जी मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे एलाह। ओना शर्मा जी हिन्दीमे पहिनेसँ गजल लिखैत छलाह।

बर्ख 2011 केर मार्च मासमे सुनील कुमार झा मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

बर्ख 2011 केर अप्रिल मासमे विकास झा रंजन आ रोशन मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

बर्ख 2011 केर जून मासमे ॠषि वशिष्ठ जीक सहायतासँ दीप नारायण विद्यार्थी मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

बर्ख 2011 केर अगस्त मासमे प्रवीन नारायण चौधरी प्रतीक मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

बर्ख 2011 केर सेप्टेम्बर मासमे मिहिर झा एवं ओमप्रकाश जी मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

बर्ख 2011 केर अक्टूबर मासमे श्रीमती शांतिलक्ष्मी चौधरी जी मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलीह।

बर्ख 2011 केर नवम्बर मासमे विनीत उत्पल, भावना नवीन, भाष्कर झा, रवि मिश्रा भारद्वाज, जगदानंद झा मनु, आ अजय ठाकुर मोहन मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह/ एलीह।

बर्ख 2011 केर दिसम्बर मासमे प्रभात राय भट्ट, अनिल जी, श्रीमती इरा मल्लिक, मनोहर कुमार झा, आ प्रवीन नारायण चौधरी जी मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

बर्ख 2012 केर जनवरी मासमे रूबी झा, स्वाती लाल, नितेश झा रौशन आ अमित मिश्र मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

बर्ख 2012 केर फरवरी मासमे कुमार पंकज झा आ निशांत झा मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

आ बर्ख 2012 केर मार्च 20 धरि चंदन झा मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रुपमे अनचिन्हार आखर द्वारा एलाह।

एहि आलावे आरो गजलकार सभ छथि मुदा ओ लोकनि पहिनेसँ रचनारत छलाह।
एहि तरहें 47 मासमे कुल 26टा नव गजलकार मैथिलीमे अनचिन्हार आखर द्वारा लाएल गेलाह जाहिमे कुल 5टा महिला वर्गसँ छथि।
एहि तरहें 47 मासमे कुल कुल 566टा गजल, ८३टा आलेख, 139टा रुबाइ, 16टा कता, 2टा बन्द, 3टा हजल आ एकटा नात आएल।


(श्रीमती रुबी झा जीक सभ पोस्ट हटा देल गेल अछि। हुनक रचना अ-मौलिक सिद्ध भेल अछि। हमर ई कहब नै जे हुनक सभ रचना एहने सन हेतन्हि मुदा ई हुनक अधिकांश रचना लेल अछि।

सादर
सम्पादक
 22/1/2013)

1 टिप्पणी:

  1. Prabin Chaudhary Pratik, Nishant Jha, Akhilesh Jha and 18 others like this.

    Anil Mallik Bahut shubh sanket achhi...besi sau besi rachanakar sav gajalkar re rup me nav hastakshar ke rup me abaith, sthapit hoith aa Maithili gajal ke samridhdh banabaith....Shubhakamana !
    23 March at 10:48 · Unlike · 2

    जगदानन्द झा 'मनु' Neek vivechna aa shubhsanket
    23 March at 11:16 · Unlike · 3

    Amit Mishra apnek kshtrachhaya me e ginti aur besi badhat
    23 March at 11:44 via Mobile · Unlike · 1

    Pankaj Chaudhary Gapp satyapit bha rahal aichh je Maithili bhashaa katek samriddh aichh aaor Mithilanchal mein pratibha katek bharal aichh...! Awashaykta aichh hunka sabh ke ekta manch par anbaak aaor appan uttardayitwak anoobhooti karenai...! Ekra lel ham sabh satat prayatnsheel rahi se shubheksha..!
    23 March at 12:09 · Unlike · 2

    Rupesh Teoth Neek aa utsahvardhak....gunji rahalay Gazhal
    23 March at 12:10 · Unlike · 1
    Ashish Anchinhar ‎Sunil Kumar Pawan--
    23 March at 12:32 · Like · 1

    Prabhat Ray Bhatt Uyfm e sabhta apanek mihniti aar karmnishthtak pratifal achhi
    23 March at 13:10 · Like

    Jan Anand Mishra Nav hustaksharme 20% mahila sahbhagitaklel anchinhar akharak jatek prasansa kail jai kume hait ! Samgrame suchi ahladit karait aichh ! Gazalkar, Gazal & Maithilike BADHAI
    23 March at 16:08 via Mobile · Unlike · 4
    Ashish Anchinhar इ सभ अहीं लोकनिक स्नेह परिणाम थिक।...
    23 March at 18:01 · Like · 4

    Akhilesh Jha ‎Ashish Anchinhar: Prasansniya karya. Pravee Narayan Chaudhari nav hastakchar k rupme 2011 Aug aa 2011 Dec.me seho chait dunu alag vaikti ki ekai chaith
    23 March at 18:34 · Unlike · 1
    Ashish Anchinhar ‎Akhilesh Jha--माफी चाही। धन्यवाद गलती दिस धेआन देआबय लेल। अगस्त बलाकेँ प्रबीण चौधरी प्रतीक बूझू।...
    23 March at 18:36 · Like · 1
    Ashish Anchinhar ‎Prabin Chaudhary Pratik--
    23 March at 18:42 · Like · 1
    Ashish Anchinhar ‎Pravin Narayan Choudhary--
    23 March at 18:42 · Like · 1

    Akhilesh Jha Kono bat nai . Ahan nik karj k rahal chi sadhuvad.
    23 March at 18:44 · Unlike · 3

    जवाब देंहटाएं

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों