गुरुवार, 15 मार्च 2012

गजल

बहरे-जदीद मे एकटा गजल लिखबाक कोशीश केलौहुँ से अपने सबहक समक्ष प्रस्तुक क' रहल छी ।
चादरो फाटल सड़ल बड , उठबै कखन ,
बाढ़ि एलै भासलै घर , बनतै कखन ,
कोन , कोना ,नाह भेटत मजधार मे ,
राति दिनकर ,दिन क' चन्ना बूझै कखन ,
चोरि भेलै चैन आ चाहो के अमल ,
देह टूटै ,दोष अनका देबै कखन ,
डाँग लागै दैब के अधगेरे जखन ,
पानि मानव एक बूँदो माँगै कखन ,
बेचबै बेटा जँ जिनगी बचतै ,तखन ,
"अमित" कह ने पानि सगरो घटतै कखन . . . । ।
फाइलातुन-फाइलातुन-मुस्तफइलुन
{ I-U-I-I-I-U-I-I-I-I-U-I} एक बेर सब पाँति मे ।
अमित मिश्र

1 टिप्पणी:

  1. Ashish Anchinhar
    bahut neek


    Om Prakash Jha
    Vaah Amit ji. Sunnar.


    Binita Jha
    पानि मानव एक बूँदो माँगै कखन ,
    bahut sundar


    ShantiLakshmi Choudhary waah
    Monday at 8:43pm · Unlike · 2

    Anil Mallik
    बेचबै बेटा जँ जिनगी बचतै ,तखन ,
    "अमित" कह ने पानि सगरो घटतै कखन . ....prashanshniya gazal !


    Amit Mishra dhanyawaad
    Monday at 11:04pm via mobile · Like

    Aashiq Raj
    neek gajal


    Maithili Singer
    KANIK AUR MEHANATAK JARURAT ACHHI, AMIT JEE,, ................KSHAMA KARAV...HAM MOOH DEKHI MUNGAVA NAI DAI SAKAB.


    Ravi Mishra neek


    Amit Mishra
    ahank bat neek lagal singer ji . . . Ham mehnat karab . .jarur karab


    Amit Mishra
    jan esharo san e bata ditaun je kon tham mehnatk jarura achhi ta hamra lel subidha bha jaite


    Ruby Jha
    sunnar gajal....adbhut rachna.


    डॉ॰ शशिधर कुमर ।

    चोरि भेलै चैन आ चाहो के अमल ,
    देह टूटै ,दोष अनका देबै कखन ,

    बहुत नीक ।

    जवाब देंहटाएं

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों