मंगलवार, 6 मार्च 2012

मास फरवरी 2012क लेल गजल सम्मान योजनाक पहिल चरण

हमरा इ सूचित करैत बड्ड नीक लागि रहल अछि जे " अनचिन्हार आखर"द्वारा स्थापित " गजल कमला-कोशी-बागमती-महानंदा" सम्मानक पहिल चरण बर्ख-2012 ( मास फरवरी लेल ) पूरा भए गेल अछि। मास फरवरीक लेल अमित मिश्र जीक एहि रचना के चयन कएल गेलैन्हि अछि। हुनका बधाइ।


पुन: जोडि लेबै नेहकेँ डोर राजा जी
कनेको बहै नै जानकेँ नोर राजा जी


कने आउ राजा जानि नै की भ' जेतै यौ
कनेको नचाबू प्रेमकेँ मोर राजा जी


किए सुन्न भेलौं आइ बेमौत मारै छी
कने आइ मस्तीमे करू शोर राजा जी


जमाना मिलेतै नै सुनू बैलगा देतै
अनाड़ी बुझै छै प्रेम छै चोर राजा जी


चटा देब संगे प्यार के चाशनी हमरा
अमीतो बुझू भेलै सराबोर राजा जी




हरेक पाँतिमे "फऊलुन-मफाईलुन" केँ दू बेर प्रयोग मने फऊलुन-मफाईलुन-फऊलुन-मफाईलुन अर्थात UII-UIII-UII-UIII सँ बनल बहरे तवील।
अमितो केर वज्न गायनमे बढि " अमीतो" होइत छै।
तेसर शेरक पहिल पाँतिमे "प्रथा" शब्दमे "प्र" संयुक्त अछि आ तँए ओहि शब्दसँ पहिने बला शब्द "कोन" केर "न" लघु रहितो दीर्घ मानल जाएत।

1 टिप्पणी:

  1. Umesh Mandal, Priyanka Jha, Amit Mishra and 16 others like this.

    मिहिर झा Amit ji ke badhaai.
    6 March at 09:32 · Unlike · 2
    Ashish Anchinhar तेसर शेरकेँ एना पढ़ल जाए---किए सुन्न भेलौं आइ बेमौत मारै छी
    कने आइ मस्तीमे करू शोर राजा जी
    6 March at 09:35 · Like · 3

    Aashiq Raj Amit ji ke bahut bahut badhai
    6 March at 09:51 · Unlike · 2

    Gunjan Shree badhai amit jeee ke saprem...
    6 March at 09:52 · Unlike · 2

    Prabhat Ray Bhatt Uyfm amit ji ke hardik badhai uttrotar pragatik kamana
    6 March at 09:56 · Like

    Anil Mallik Amit ji k bahut bahut badhai !
    6 March at 09:57 · Like · 1

    Maithili Singer Jmit jee ke Bahut Raas mangalkamana..BADHAIIIIIIIIIIIII;!!
    6 March at 10:40 · Unlike · 2

    जगदानन्द झा 'मनु' bdd nik smad,Amit ji ke bahut ras bdhai aa mangal kamna
    6 March at 11:17 · Like · 1

    Jan Anand Mishra Mane ai mastime karu shor rajaji: badhai Amitji
    6 March at 11:32 · Unlike · 3
    Ashish Anchinhar बहरे तवील सन कठिन बहरक प्रयोग करए बला पहिल शाइर छथि अमित जी।.
    6 March at 16:30 · Like · 1

    Amit Mishra अहाँ सभहक आशीर्वाद चाही हमरा ....सच कहूँ त जहिया सँ अहाँ सब भेटलौं तहिया सँ हम ओ लिखलौं जे ऐ सँ पाहिले कहियो नै लिखै छलौं \ हम अहाँ सबहक आभारी छी
    6 March at 18:20 · Like

    जवाब देंहटाएं

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों