सोमवार, 14 जनवरी 2013

गजल



बाल गजल-75

आँगनमे कते छै लाल टमाटर
छै बौआक एहन गाल टमाटर

ढाकी भरल छीट्टा भरल घरो सब
कतऽ राखब भरल तिरपाल टमाटर

देलक दाबि बौआ आबि कतेकेँ
जेहन गेन तेहन लाल टमाटर

पोषक तत्व भरल स्वाद सलादक
चटनीमे चलत भरि साल टमाटर

मैथिल खेत सोना सदिखन उगलै
सबटा अन्न जेना ताल टमाटर

2221-2221-122
अमित मिश्र




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों