सोमवार, 14 जनवरी 2013

बाल गजल


बाल गजल-77

माएक बाबू तँ नाना भेलखिन सुन
माएक भैया तँ मामा भेलखिन सुन

माएक सब बहिन तोहर मौसी बनल
मौसीक पति नीक मौसा भेलखिन सुन

बाबूक माए तँ बाबी छथि जप करथि
बाबूक बाबू तँ बाबा भेलखिन सुन

बाबूक सब भाइ छथि कक्का दुलरुआ
काकी तँ कक्काक कनिया भेलखिन सुन

कक्काक सब बहिन तोहर दीदी बनल
दीदीक पति अपन पिउसा भेलखिन सुन

एखन बचल सब अपन छै भ्राता बहिन
तेँ झगड़ नै सब तँ मीता भेलखिन सुन

प्रण आइ ले बात मानें तूँ पैघकेँ
तखने "अमित" नीक बौआ भेलखिन सुन

मुस्तफइलुन-फाइलातुन-मुस्तफइलुन
2212-2122-2212
बहरे-सगीर

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों