सोमवार, 14 जनवरी 2013

बाल गजल

बाल गजल-85

डग मग डोलि रहल नैया
गाड़ी लोक भरल नैया

गंगा बीच पानि उफनै
तैपर छैक अड़ल नैया

काँपै मोन बीच धारसँ
वायुसँ ओतऽ बहल नैया

दोसर नाव जाल फेकै
मोटरपर ससरल नैया

गाबै गीत बूढ़ मलहा
खेबै छैक असल नैया

गंगा माइ पार केलनि
लोकक संग हँसल नैया

मफऊलातु-फाइलातुन
2221-2122
अमित मिश्र


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों