कखनो कियो हमरो प्रेम करबे करत
गेलहुँ जँ नै घर ओ बाट तकबे करत
भागैत अछि टोलक लोक नामसँ हमर
सब एकदिन हमरो संग चलबे करत
बैसल घरे घर सभ कान मुनने अपन
दोसर मुँहेँ हमरो लेल सुनबे करत
के एतए आयल पी अमर पान रस
जे जन्म लेलक ओ जीव मरबे करत
बुझलक कनीको जे ‘मनु’क कहियो हिया
दू नोर मुइलापर ओ तँ कनबे करत
(मात्राक्रम 2212-2221-2212 सभ पाँतिमे)
✍🏻 जगदानन्द झा ‘मनु’
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें