सोमवार, 14 जनवरी 2013

बाल गजल

बाल गजल-78

लाल कक्काकेँ लाल घर
गाढ़ लालै छै बाल घर

गोइठा साटल गाछपर
टाल छै गोबर माल घर

आब नै होस्टलमे रहब
बनल बिनु माँकेँ काल घर

पैघ छै राजाकेँ महल
घर बहुत लागै जाल घर

सब तँ हमरा बानर कहै
चढ़ब कोठी देबाल घर

नीक निकुते खेतै "अमित"
आइ एलै नव साल घर

फाइलातुन-मुस्तफइलुन
2122-2212

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों