सोमवार, 28 जनवरी 2013

गजल


गजल-४५

जग भरिक उपरागसँ अकच्छ भेल छी
राति-दिन लागैत दागसँ अकच्छ भेल छी

मौध मुँह पर मुदा मोन माहुर भरल
ऐ फुसियाहा अनुरागसँ अकच्छ भेल छी

हम जँ बजलौं अहाँसँ त' रुसि रहता ओ
ई संबंधक गुणा-भागसँ अकच्छ भेल छी

दंश सहलौं कते मिसिया भरि मौध लेल
प्रेमक मधुर परागसँ अकच्छ भेल छी

"नवल" टूटितै नै जे निन्न होएतै एहन
राति-राति भरिक जागसँ अकच्छ भेल छी

*आखर-१६ (तिथि-०३.०१.२०१३)
©पंकज चौधरी "नवलश्री"

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों