सोमवार, 28 जनवरी 2013

बाल गजल


बाल गजल-१९

पोथीक पछिला पन्ना परमे चित्र पाड़ि क' मेटा रहल छौ
रगड़ि-रगड़ि क' फेरो भैया देख मेटौना सधा रहल छौ

कसि-कसि क' लिखैत छौ माँ गै फाटि रहल छै सभटा पन्ना
पेन्सिल - नोकी तोड़ि क' अपने नाउ हम्मर लगा रहल छौ

अप्पन सबक छै ओहिना धएले हमरा पाठ पढ़ाबै छौ
किछु नै आबै छै माँ एकरा सभटा गलते पढ़ा रहल छौ

झडुआ-मडुआ केर पन्नीमे काल्हि जे छोटकी लट्टू भेटलै
पलथीक बीचमे नुका-नुका क' चुप्पे लट्टू नचा रहल छौ

करै छौ भैया बड़ बदमाशी माए दे एकरा कान कनैठी
जानि-बूझि क' बेर-बेर ओ फूँकि क' डिबिया मिझा रहल छौ

प्यास लगै बस अदहा घोंटक पिबते देरी मुत्तियो लागै
लोटे-लोटे पानि उझलि क' संउसे कपड़ा भिजा रहल छौ

भनसाघर दिस मारि क' हुलकी कहैए भूजा भूजै छै माँ
"नवल" फाड़ि क' सादे पन्ना कागतक बाटी बना रहल छौ

*आखर-२२ (तिथि-१२.०१.२०१३)
©पंकज चौधरी (नवलश्री)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों